शुक बैशाख १४ , १४ बैशाख २०८१, शुक्रबार| थारु संम्बत:२६४७

शीत लहरसे बचैके तरीका

शीत लहरसे बचैके तरीका

शीत लहरसे बचैके तरीका :
१- गरम कपडा बेसी से बेसी लगाबू ।
२- तपना, बोरैस या घुरके बेसी से बेसी उपयोग करू ।
३- गोइठा, जारन काठी या कोठा गरम करै बाला इन्धनके पूरा से पूरा जम्मा कैर के राखू ।
४- आदी, मरिच या लसुनके कडहा बन्याके सब कोइ पियु ।
५- बच्चा सबके ( अगर १ सालसे उपर छै ताब मात्रै ) १ चम्मच के करीब मौध खाइले दियौ ।
सबसे जरूरी बात , एकदमे जरूरी नै छै त घरसे बाहर नै निक्लू । कह्बियोमे छै कि जान छै त जहा छै । बुढ पूराण या बच्चा सबके बेसी से बेसी तन्की करू ।


error: Content is protected !!